विनोद कुमार झा
मिथिलाक माटि सदिखन अपन ज्ञान, संस्कृति, साहित्य आ संस्कार लेल प्रसिद्ध रहल अछि। एहि पावन धरती पर अनेक विद्वान, संत, साहित्यकार आ महापुरुष जन्म लेलनि, जे अपन प्रतिभा आ कृतित्वसँ समाजकेँ नव दिशा देलनि। एहि महान विभूति सभमे महाकवि विद्यापतिक नाम अत्यंत आदर आ श्रद्धाक संग लेल जाइत अछि। ओ केवल मैथिली साहित्यक महान कवि नहि, बल्कि मिथिलाक भाषा, संस्कृति, प्रेम, भक्ति आ लोकजीवनक आत्मा छलाह। हुनकर रचना आइयो लोकक कंठमे जीवित अछि आ पीढ़ी-दर-पीढ़ी मैथिल समाजकेँ अपन भाषा आ माटिसँ जोड़ने अछि।
महाकवि विद्यापतिक प्रसिद्ध उक्ति ‘देशिल बयना सब जन मिट्ठा’ मैथिली भाषाक आत्मसम्मान आ ओकर मधुरताक प्रतीक बनि गेल अछि। एहि छोट वाक्यमे जे गहींर अर्थ छिपल अछि, से केवल भाषाक मिठास तक सीमित नहि, बल्कि अपन मातृभाषा, अपन माटि आ अपन सांस्कृतिक पहिचानक प्रति प्रेम आ गर्वक संदेश दैत अछि। विद्यापति बुझने छलाह जे जाहि भाषामे मनुष्य अपन भावना, सुख-दुःख आ अपन अंतरात्माक बात सहज रूपेँ कहि सकैत अछि, ओहि भाषाक मिठास संसारक कोनो आन भाषासँ कम नहि होइत अछि। एहि कारणे हुनकर ई उक्ति आइयो मैथिल समाजक लेल प्रेरणास्रोत बनल अछि।
विद्यापतिक जन्मकाल सामान्यतः चौदहम शताब्दीक मध्य मानल जाइत अछि। हुनकर जन्मस्थान मिथिलाक मधुबनी जिलाक बिस्फी मानल जाइत अछि। हुनकर पिता गणपति ठाकुर विद्वान छलाह। विद्यापति अपन विलक्षण प्रतिभा, संस्कृत, अवहट्ट आ मैथिली भाषाक ज्ञान तथा साहित्यिक साधनासँ राजदरबारसँ लऽ कऽ जनसामान्य धरि अपन विशिष्ट पहचान बनौलनि। ओ महाराज शिवसिंहक दरबारसँ जुड़ल छलाह। हुनकर साहित्यिक व्यक्तित्वमे विद्वत्ता, लोकचेतना, प्रेम, भक्ति आ सामाजिक जीवनक अद्भुत समन्वय देखाइत अछि।
विद्यापतिक रचनाक सबसँ पैघ विशेषता ई अछि जे ओ जनसामान्यक भाषा मैथिलीकेँ साहित्यक प्रतिष्ठित भाषा बनौलनि। हुनकर पदावलीमे राधा-कृष्णक प्रेम, विरह, मिलन, मान-मनुहार आ भक्ति एहन सहज आ मधुर रूपमे व्यक्त भेल अछि जे पाठक आ श्रोता दुनू ओकर भावधारामे बहि जाइत छथि। हुनकर रचनामे श्रृंगार रस आ भक्ति रसक अनुपम संगम भेटैत अछि। जाहि सहजता आ भावुकतासँ ओ प्रेमक अनुभूतिक वर्णन कयलनि, से हुनका मैथिलीक अमर कवि बना देलक।
‘कखन हरब दुख मोर हे भोलानाथ’, ‘जनम अवधि हम रूप निहारल’ आ ‘सखि हे हमर दुखक नहि ओर’ सन पद आइयो मैथिल समाजक सांस्कृतिक जीवनमे विशेष स्थान रखैत अछि। हुनकर पद केवल साहित्यक विषय नहि रहल, बल्कि लोकगीत, भजन आ सांस्कृतिक आयोजनक अभिन्न अंग बनि गेल अछि। मिथिलाक विवाह, पर्व-त्योहार, धार्मिक अनुष्ठान आ पारिवारिक अवसर पर विद्यापतिक गीतक गूंज सुनाइत अछि। एहि गीत सभमे मिथिलाक नारीक मनोभाव, प्रेमक कोमलता आ जीवनक संवेदना अत्यंत सुंदर ढंगसँ अभिव्यक्त भेल अछि।
विद्यापति केवल प्रेम आ भक्ति रसक कवि नहि छलाह। हुनकर रचनामे समाज, राजनीति, धर्म, दर्शन आ लोकव्यवहारक सेहो गहींर समझ देखाइत अछि। संस्कृतमे रचित हुनकर ग्रंथ हुनकर विद्वत्ताक प्रमाण थिक, तँ मैथिली पदावली हुनकर लोकभाषा प्रेमक परिचायक थिक। एहि दृष्टिसँ विद्यापति भारतीय साहित्यक ओहि परंपराक प्रतिनिधि छथि, जे शास्त्रक ज्ञानकेँ लोकजीवनक भावनासँ जोड़ैत अछि।
आइ जखन हम विद्यापतिक जन्मोत्सव आ हुनकर जन्मस्मृति समारोह मना रहल छी, तखन ई आत्ममंथन करबाक समय सेहो अछि जे की हम हुनकर भाषा आ साहित्यक विरासतकेँ अगिला पीढ़ी धरि पहुंचा रहल छी? केवल माला पहिरा देब, दीप प्रज्वलित करब, सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित करब आ हुनकर गीत गा लेब पर्याप्त नहि। वास्तविक श्रद्धांजलि तखन होयत, जखन हम अपन घर-परिवारमे मैथिली बाजब, बच्चा सभकेँ मैथिली पढ़ेब, लिखेब आ अपन लोकसाहित्यसँ परिचित करायब। अपन मातृभाषाकेँ दैनिक जीवन, शिक्षा, साहित्य, पत्रकारिता आ सामाजिक संवादमे सम्मानजनक स्थान देब।
दुर्भाग्य ईहो अछि जे आधुनिकताक दौड़मे बहुतो परिवार अपन मातृभाषा बाजयमे संकोच करैत अछि। नवपीढ़ी अंग्रेजी आ आन भाषा सीखय, ई स्वागतयोग्य बात अछि, मुदा अपन मातृभाषाकेँ बिसरि जेबाक कीमत पर नहि। दोसर भाषा सीखब प्रगति थिक, मुदा अपन भाषा छोड़ब सांस्कृतिक विरासतसँ दूरी बनायब थिक। विद्यापतिक संदेश हमरा सभकेँ ई सिखबैत अछि जे अपन भाषाक सम्मान करैत दोसर भाषाक ज्ञान अर्जित कयल जा सकैत अछि।
मैथिली भाषा केवल संवादक माध्यम नहि, बल्कि मिथिलाक इतिहास, परंपरा, लोकसंस्कृति, पारिवारिक संबंध आ सामाजिक चेतनाक धरोहर थिक। एहि भाषामे मायक ममता, बहिनक स्नेह, बेटी विदाईक पीड़ा, प्रेमिकाक विरह, भक्ति आ जीवनक हर रंग समाहित अछि। विद्यापति एहि सभ भावनाकेँ अपन काव्यक माध्यमसँ एहन स्वर देलनि जे आइयो समयक सीमा पार कऽ लोकक हृदयमे जीवित अछि।
महाकवि विद्यापतिक साहित्य हमरा सभकेँ अपन माटि, अपन भाषा आ अपन संस्कृतिक प्रति गर्व करबाक प्रेरणा दैत अछि। हुनकर ‘देशिल बयना सब जन मिट्ठा’ केवल एकटा काव्य-पंक्ति नहि, बल्कि मातृभाषाक सम्मानक शाश्वत उद्घोष थिक। ई संदेश दैत अछि जे अपन भाषा जतेक सहज, अपन आ आत्मीय होयत, ओतेके मनुष्यक हृदयकेँ जोड़त।
अतः कहल जा सकैत अछि जे महाकवि विद्यापति मिथिलाक गौरव, मैथिली साहित्यक अमूल्य निधि आ भारतीय साहित्यिक परंपराक उज्ज्वल नक्षत्र छथि। हुनकर साहित्यक मिठास कहियो कम नहि होयत, कारण जे भाषा लोकक हृदयमे बसि जाइत अछि, ओकर अस्तित्व कहियो समाप्त नहि होइत अछि।
आउ, विद्यापतिक स्मृतिमे केवल उत्सव नहि मनाबी, बल्कि हुनकर भाषा आ साहित्यकेँ अपन जीवनमे उतारी। जाहि दिन मिथिलाक प्रत्येक घरमे मैथिली बाजल, पढ़ल आ लिखल जायत, ओहि दिन महाकवि विद्यापतिक सपना सच्चा अर्थमे साकार होयत।
‘देशिल बयना सब जन मिट्ठा’ ई केवल विद्यापतिक वाणी नहि, मिथिलाक आत्मा आ
मैथिली भाषाक अमर पहचान थिक।
