- लोकगीत, लोकआस्था आ पारिवारिक संबंधक मधुरता सँ भरल अछि मिथिलाक ई विशिष्ट लोकपर्व
विनोद कुमार झा
मिथिलाक पावन धरती अपन समृद्ध संस्कृति, मधुर भाषा, लोकपरंपरा आ पारिवारिक संस्कार लेल सदिखन प्रसिद्ध रहल अछि। एतय मनाओल जाएबला प्रत्येक पर्व-त्योहारक अपन विशिष्ट महत्त्व आ सामाजिक संदेश अछि। एहि परंपरामे सामा-चकेवा एकटा एहन अनुपम लोकपर्व अछि, जे भाई-बहिनक अटूट प्रेम, विश्वास, त्याग आ स्नेहक प्रतीक मानल जाइत अछि। ई पर्व केवल धार्मिक आस्था धरि सीमित नहि, बल्कि मिथिलाक सांस्कृतिक पहचान आ लोकजीवनक आत्मीयताक सेहो प्रतीक अछि।
कार्तिक शुक्ल पक्षमे छठ महापर्वक बाद सामा-चकेवा पर्वक शुरुआत होइत अछि। मिथिलांचल, बिहार आ नेपालक तराई क्षेत्रमे ई पर्व बड़ हर्षोल्लास आ पारंपरिक उत्साहक संग मनाओल जाइत अछि। विशेष रूपसँ बहिन सभ अपन भाइ सभक दीर्घायु, सुख-समृद्धि आ मंगलकामनाक लेल ई पर्व करैत छथि। गाम-घरक आंगन, चौबट्टी आ गल्ली सभमे साँझ होइतहि महिलासभ आ युवती सभ एकत्रित भ' सामा-चकेवाक पारंपरिक गीत गबैत छथि। माटिक बनल सामा, चकेवा, चुगला, वृंदावन आ अन्य आकृति सभके रंग-बिरंगक रंगसँ सजाओल जाइत अछि।
लोकमान्यताक अनुसार सामा-चकेवाक कथा भगवान श्रीकृष्णक पुत्री सामासँ जुड़ल अछि। कहल जाइत अछि जे सामा पर अनुचित आरोप लगाओल गेल छल। एहि विपत्तिक समय हुनकर भाय साम्ब बहिनक सम्मान आ रक्षाक लेल आगू अयलाह। हुनकर प्रेम, विश्वास आ त्यागक कारण सामाक जीवनमे फेर खुशी लौटि आयल। एहि लोककथाक अलग-अलग रूप मिथिलाक विभिन्न क्षेत्रमे प्रचलित अछि। मुदा सभ कथाक मूल भाव एक्के अछि बहिनक सम्मान, भाइके स्नेह आ दुनूक बीच अटूट विश्वास।
सामा-चकेवा पर्वक सभसँ आकर्षक पक्ष एकर पारंपरिक लोकगीत अछि। जखन गामक महिलासभ एक संग बैसि सामा-चकेवाक गीत गबैत छथि, तखन पूरा वातावरण मिथिलाक सांस्कृतिक मिठाससँ गूंजि उठैत अछि। गीतक बोलमे कतहु भाइ लेल बहिनक मंगलकामना अछि, त' कतहु पारिवारिक संबंधक आत्मीयता आ सामाजिक जीवनक चित्रण। चुगलाक प्रसंगक माध्यमसँ समाजक कुरीति, छल-कपट आ नकारात्मक प्रवृत्ति पर व्यंग्य सेहो कयल जाइत अछि।
ई पर्व केवल भाई-बहिनक प्रेमक प्रतीक नहि, बल्कि प्रकृति आ जीव-जंतु सभक प्रति प्रेम आ संवेदनाक संदेश सेहो दैत अछि। चिड़ै-चुनमुनी आ अन्य पक्षीक माटिक आकृति बनाकय प्रकृतिक संग मनुष्यक आत्मीय संबंधकेँ दर्शाओल जाइत अछि। एहि तरहें सामा-चकेवा लोकपरंपरा आ पर्यावरणीय चेतनाक सेहो सुंदर उदाहरण अछि।
कार्तिक पूर्णिमाक दिन एहि पर्वक समापन होइत अछि। एहि दिन बहिन सभ पारंपरिक विधि-विधानक संग सामा-चकेवाक विदाई करैत छथि। विदाईक समय गाओल जाएबला लोकगीत सभमे एकटा भावुकता आ अपनत्वक अनुभूति होइत अछि। माटिक प्रतिमा सभक विसर्जनक संग बहिन सभ अगिला वर्ष फेर एहि पर्वक आगमनक प्रतीक्षा करैत छथि।
आधुनिकताक दौड़ आ बदलैत जीवनशैलीक बीच आइ बहुतो पारंपरिक लोकपर्व अपन पुरान पहचान धीरे-धीरे खोइत जा रहल अछि। एहन समयमे सामा-चकेवा सन लोकपर्व हमर सांस्कृतिक विरासतकेँ जीवित रखबाक महत्वपूर्ण माध्यम अछि। ई पर्व नव पीढ़ीकेँ सिखबैत अछि जे रिश्ता धन-दौलत आ भौतिक सुख-सुविधासँ नहि, बल्कि प्रेम, विश्वास, त्याग आ सम्मानसँ मजबूत बनैत अछि।
मिथिलाक पहचान केवल मैथिली भाषा, साहित्य आ खानपान धरि सीमित नहि अछि, बल्कि एहन लोकपरंपरा सभमे सेहो बसल अछि, जे पीढ़ी-दर-पीढ़ी समाजकेँ एक-दोसरासँ जोड़ने रखैत अछि। सामा-चकेवा ओही सांस्कृतिक धरोहरक जीवंत उदाहरण अछि। जरूरत अछि जे परिवार आ समाजक लोक अपन बच्चा सभकेँ एहि पर्वक कथा, गीत आ परंपरासँ परिचित कराबथि, जाहिसँ मिथिलाक ई अमूल्य धरोहर आगुओ सुरक्षित रहय।
सामा-चकेवा केवल माटिक प्रतिमा सभक खेल नहि, बल्कि बहिनक प्रार्थना, भाइके स्नेह, प्रेम आ विश्वासक उत्सव अछि। ई मिथिलाक माटिमे रचल-बसल ओहि संस्कृति के प्रतीक अछि, जे सदिखन परिवार, समाज आ मानवीय संबंधक मधुरता बनौने रखबाक संदेश दैत अछि।

